मुख्यमन्त्री सिंहद्वारा सामुदायिक विद्यालयसभक अनुगमन – Naya Bikalpa
June 24, 2026, Wednesday      Epaper

मुख्यमन्त्री सिंहद्वारा सामुदायिक विद्यालयसभक अनुगमन

जनकपुर : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह विद्यालय शिक्षा व्यवस्थापनकेँ गुणस्तरीय आ प्रभावकारी बनेबाक दिशामे सम्बद्ध पक्षसभकेँ आवश्यक निर्देशन देलक अइछ।

मुख्यमन्त्री सिंह आइ धनुषा जिलाक हङ्सपुर नगरपालिकाके दू गोट सामुदायिक विद्यालयक अनुगमन करैत ओत विद्यमान बेथिति आ विसङ्गति हटेबाक लेल पालिकाक पदाधिकारी, विद्यालय व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष, प्रधानाध्यापक आ शिक्षकसभकेँ निर्देशित कएलैन।

अनुगमनक क्रममे नगरपालिका–२ स्थित राष्ट्रिय प्राथमिक विद्यालय, बघचौँडामे निजी विद्यालयमे अध्ययनरत विद्यार्थीसभक नाम देखा क तकर नामसँ छात्रवृत्ति आ नास्ताक सुविधा लैत भेटल, मुख्यमन्त्री सिंह जानकारी देलैन। सरकार विद्यार्थी संख्या आधारित छात्रवृत्ति आ खाजा खर्च सामुदायिक विद्यालयसभकेँ उपलब्ध करबैत अइछ।

शिक्षाविद् गुरु सुवेदी कहलैन जे विद्यालय नक्कली विद्यार्थी दर्ता करैत छात्रवृत्ति, नास्ता सहित छै–सातटा शीर्षकमे सरकारसँ प्राप्त नगदक दुरुपयोग क रहल अइछ। ओ कहलैन जे विद्यालय शिक्षा व्यवस्थापन सूचना प्रणाली (एसईएमआईएस)मे नक्कली विवरण राइख नगद निकासा करब एक प्रकारक भ्रष्टाचार छी, आ एहि मामिलामे संलग्न व्यक्तिसभकेँ कारबारी होएबाक चाही।

मुख्यमन्त्री सिंह कहलैन “नक्कली विद्यार्थी देखाकए सरकारी साधनस्रोतक दुरुपयोग गम्भीर विषय छी, आ एकर नियन्त्रण आ नियमन लेल प्रदेश शिक्षा निर्देशक महेन्द्र महतोकेँ सम्बंधित निकायमे पत्राचार करबाक निर्देशन देलौँ।”

एहि क्रममे मुख्यमन्त्री सिंह हङ्सपुर नगरपालिका–८ झटियाहीस्थित श्री मिथिला तिलक नन्द कुमारी कार्की माध्यमिक विद्यालयक सेहो अनुगमन कएलैन। ओ कहलैन जे विद्यार्थी संख्या बेसी होइतो एहेन माध्यमिक विद्यालयमे शौचालय जकाँ आधारभूत संरचनाक अभाव दुःखद अइछ, आ तत्काल व्यवस्थापन लेल नगर उपप्रमुख दुर्गीदेवी मण्डलकेँ ध्यानाकर्षण करौलैन।

उपप्रमुख मण्डल जनौलैन जे शौचालय निर्माण लेल आवश्यक नगद निकासा भ चुकल अइछ आ एहि आर्थिक वर्षमे निर्माण कएल जाएत।

मधेश प्रदेशक शिक्षा तथा संस्कृति मन्त्रालय एक महिना पूर्व प्रदेशक १३६ टा पालिकाकेँ पत्राचार क सामुदायिक विद्यालयसभमे शिक्षण प्रणालीमे सुधार अनबाक सुझावसँ ध्यानाकर्षण कएल गेल छल।

सम्बन्धित समाचार

कुन महानगरपालिकाको बजेट कति ?
कुन महानगरपालिकाको बजेट कति ?
  • २०८२ बैशाख ३०, २१: ०७

काठमाडौं : देशका ६ महानगरपालिकाले आगामी आर्थिक वर्ष २०८३/८४ का लागि बजेट सार्वजनिक गरेका छन्। ६ महानगरको कुल बजेट आगामी...

गैरकानुनी रूपमा बसेका २४ बंगलादेशी नागरिक पक्राउ
गैरकानुनी रूपमा बसेका २४ बंगलादेशी नागरिक पक्राउ
  • २०८२ बैशाख ३०, २१: ०७

काठमाडौं : नेपाल प्रहरीले गैरकानुनी रुपमा नेपालमा बसेका २४ बंगलादेशी नागरिकलाई पक्राउ गरेको छ । प्रहरी वृत्त स्वयम्भुबाट खटिएको टोलीले...

सँघीयता सुदृढीकरणसँगै समृद्ध वागमति प्रदेश वनाउन मुख्यमन्त्री वानियाको नेतृत्वको सरकारले ल्यायो दुरदर्शी वजेट 
सँघीयता सुदृढीकरणसँगै समृद्ध वागमति प्रदेश वनाउन मुख्यमन्त्री वानियाको नेतृत्वको सरकारले ल्यायो दुरदर्शी वजेट 
  • २०८२ बैशाख ३०, २१: ०७

संघीयताको सुदृढीकरणसँगै जनचाहना अनुसार सामान्य नागरिकहरुको समेत पहुच र अभिभावकिय भुमिकामा रहेको प्रादेशिक सरकारहरु अव्वल रुपमा अगाडि वढिरहेका छन ।...