
काठमाण्डू : सङ्घीय संसदक प्रतिनिधिसभा अन्तर्गत सार्वजनिक लेखा समितिक बैसार सिमेन्टक मूल्य वृद्धि विषयमे विस्तृत अध्ययन क सात दिनके भीतर कारण पेस करबाक निर्देशन सरकारकेँ देलक अइछ।
आजुक बैसारके निर्णय सुनाबैत सभापति ऋषिकेश पोखरेल कहलैन, “सिमेन्टक मूल्य वृद्धि अस्वाभाविक देखल गेल अइछ आ एहिसँ निर्माण लागत सेहो बइढ़ रहल छै। एहन स्थितिमे सम्बन्धित मन्त्रालयकेँ हस्तक्षेप करबाक आवश्यकता छै। मूल्य वृद्धि किए भेल, एहि पर अध्ययन विश्लेषण क सात दिनक भीतर रिपोर्ट पेस करबाक निर्देशन उद्योग, वाणिज्य आ आपूर्ति मन्त्रालयकेँ देल गेल अइछ।”
सभापति पोखरेल कहलैन जे समितिक समक्ष उपभोग्य वस्तुसभक मूल्य निर्धारणक स्पष्ट प्रणाली विकाश करबाक आ कार्यान्वयनक निर्देशन सेहो देल गेल अइछ। ओ कहलैन, “उद्योगसभमे १२ घण्टाधैर लोडसेडिङके शिकायत आएल अइछ। उद्योगमे कते लोडसेडिङ भ रहल छै, एहिपर ऊर्जा, जलस्रोत आ सिँचाइ मन्त्रालयसँ जवाफ मांगल जाएत।”
समितिक आजुक बैसारमे सिमेन्टक मूल्य वृद्धिपर उद्योग, वाणिज्य आ आपूर्ति मन्त्रालय, नेपाल निर्माण व्यवसायी महासङ्घ आ सिमेन्ट उत्पादक सङ्घसँ विस्तृत बातचित कएल गेल छल।
संघीयताको सुदृढीकरणसँगै जनचाहना अनुसार सामान्य नागरिकहरुको समेत पहुच र अभिभावकिय भुमिकामा रहेको प्रादेशिक सरकारहरु अव्वल रुपमा अगाडि वढिरहेका छन ।...
काठमाडौँ । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी को प्रथम महाधिवेशनअन्तर्गत केन्द्रीय सदस्य चयनका लागि मतदान आज राति साढे ८ बजेदेखि सुरु हुने...
काठमाडौं : नेपाली कांग्रेसले क्रियाशील सदस्यता वितरण अभियानअन्तर्गत नयाँ क्रियाशील सदस्यता वितरणलाई प्रभावकारी बनाउन ७७ वटै जिल्लाका लागि केन्द्रीय प्रतिनिधि...