सुनकोशी मरिन डाइभर्सन आयोजना सात वर्षमे ३७ प्रतिशत प्रगति – Naya Bikalpa
August 9, 2026, Sunday      Epaper

सुनकोशी मरिन डाइभर्सन आयोजना सात वर्षमे ३७ प्रतिशत प्रगति

धनुषाधाम : तराई-मधेशक सिंचाइ, खानेपानी आ ऊर्जा उत्पादन समस्याक स्थायी समाधानक रूपमे देखल गेल सुनकोशी मरिन डाइभर्सन बहुउद्देश्यीय आयोजनाक निर्माण कार्य सुस्त अइछ ।

राष्ट्रिय गौरवके ई आयोजना निर्माण सम्झौताक सात वर्ष बितलोपर सेहो अखनधैर लगभग ३७ प्रतिशत मात्र काज भेल अइछ ।

बागमती प्रदेश अन्तर्गत सिन्धुलीक सुनकोशी गामपालिका–८ ढुङ्ग्रेबाँस (खुर्कोट) स्थित सुनकोशी नदीसँ सुरू भेल ओइ डाइभर्सन आयोजनामे अखनधैर ३६.८३ प्रतिशत मात्र भौतिक प्रगति भेल जानकारी देल गेल अइछ । नेपाल सरकार आ निर्माण कम्पनी बीच भेल सम्झौता अनुसार २०७६/०७७सँ २०८५/०८६ अर्थात १० वर्षमे आयोजनाक काज सम्पन्न होएब पड़त, मुदा आयोजना अन्तर्गत दोसर चरणक काज देरी भेलोपर समयमे पूरा होएबमे शङ्का व्यक्त कएल जा रहल अइछ ।

अखन १३.३१६ किलोमिटर सुरूङमार्गक निर्माण सम्पन्न भेलाक बादो, अन्य भौतिक पूर्वाधार आ विद्युत् उत्पादन कार्यमे अपेक्षित प्रगति नै भेल अइछ ।

शैनदिन मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतीश कुमार सिंह, भौतिक पूर्वाधार विकासमन्त्री सरोज कुमार यादव आ ऊर्जा, सिंचाइ तथा खानेपानीमन्त्री शेषनारायण यादव सहितक समूह आयोजनाक स्थलगत अवलोकन कएने छलैन । समूह ढुङ्ग्रेबास (खुरकोट)सँ सुरूङके अन्तिम बिन्दु कमलामाई नगरपालिका–२ कुसुमटारस्थित मरीन खोलाधैर पहुँच क आयोजना कार्यान्वयन अवस्थाक बारेमे जानकारी लेलक ।

अवलोकनके क्रममे आयोजनाक सिनियर डिभिजनल इन्जिनियर अशोक राज गौतम, आयोजनाक दोसर चरणक ठिक्का सम्झौता अनुसार २०७९ माघ ११ गतेसँ पटेल–रमण जेभी प्रालि काज सुरू केलक आ अखनधैर १०.१३ प्रतिशत मात्र भौतिक प्रगति भेल जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार, नेपाल सरकार आ निर्माण कम्पनी बीचक सम्झौता अनुसार दोसर चरणक काज २०८४ अखार २५ भितर सम्पन्न होएब पड़त । पहिल चरणक ठिक्काके काज चिनियाँ कम्पनी चाइना ओभरसीज इन्जिनियरिङ ग्रुप सम्पन्न क चुकल सेहो जानकारी देलैन ।

मुख्यमन्त्री सिंह, मधेशमे पाइनके चरम अभाव भोइग रहल समयमे समस्या समाधानक लेल महत्वपूर्ण मानल गेल आयोजनाक काजमे देरी होएब दुःखद रहल बतौलैन। ओ आयोजनाकेँ समयपर सम्पन्न करेबाक लेल प्रदेश सरकारक तरफसँ नेपाल सरकारकेँ औपचारिक रूपसँ प्रतिवेदन तैयार क जानकारी करेबाक बात कहलैन ।

भौतिक पूर्वाधारमन्त्री सरोज कुमार यादव, आयोजनामे प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीक विशेष रुची रहल कहैत, समयमे ठिक्का सम्झौता पालना नै होएबला अवस्था भेल तँ सम्झौता रद्द करए पड़त बतौलैन।

ई आयोजना ४९ अरब ४२ करोड़ ३१ लाख टकाके लागतमे निर्माण भ रहल अइछ । मधेश प्रदेशक बारा, रौतहट, सर्लाही, महोत्तरी आ धनुषाक एक लाख २२ हजार हेक्टर अर्थात एक लाख ८३ हजार बिघा जमीनमे वर्षभैर सिंचाइ सुविधा पहुँचेबाक लक्ष्य रहल सिनियर डिभिजनल इन्जिनियर गौतम बतौलैन। सङे, आयोजनासँ ३१.०७ मेगावाट जलविद्युत् उत्पादन हएत , ओ कहलैन ।

आयोजना सम्पन्न भेलाक बाद कृषिसँ अनुमानित वार्षिक १० अरब ३० करोड़ टका आ बिजुलीसँ एक अरब ५५ करोड़ राजस्व सङ्कलन होएबाक अपेक्षा अइछ । आयोजना निर्माणमे अखनधैर १९ अरब ३३ करोड़ ५१ लाख बजेटमेसँ १६ अरब ५० करोड़ २७ लाख खर्च भ चुकल अइछ ।

प्रारम्भिक चरणमे किछु प्रगति देखलाक बादो, दोसर ठिक्का सम्झौता अनुसारक काम सुस्त भेलासँ गति बढेबाक लेल समन्वय भ रहल सिनियर डिभिजनल इन्जिनियर गौतमक कहब छैन ।

सम्बन्धित समाचार

रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
  • २०८२ श्रावण १८, २१: २३

काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...

कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह जंगलमा मृत फेला
कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह जंगलमा मृत फेला
  • २०८२ श्रावण १८, २१: २३

कपिलवस्तु । कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर किरण सिंह जंगलमा मृत अवस्थामा फेला परेका छन्। गत शुक्रबार दिउँसोदेखि सम्पर्कविहीन रहेका सिंहको शव...

तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
  • २०८२ श्रावण १८, २१: २३

कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...