चौरासीके निर्वाचनमे राप्रपा पहिल पार्टी बनत : लिङ्देन – Naya Bikalpa
June 26, 2026, Friday      Epaper

चौरासीके निर्वाचनमे राप्रपा पहिल पार्टी बनत : लिङ्देन

झापा : राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा)क अध्यक्ष राजेन्द्र लिङ्देन अगिला निर्वाचनमे राप्रपा देशक पहिल पार्टी बनत, ताहि अनुसार तैयारी सुरू करबाक लेल नेता तथा कार्यकर्तासभकेँ आग्रह कएने छैथ।

पार्टीक ११म् जिला अधिवेशनकेँ आइ विर्तामोडमे सम्बोधन करैत ओ राप्रपा २०८४ क निर्वाचनमे देशक पहिल पार्टी बनत से विश्वास व्यक्त करैत जनता पार्टी प्रति आश कएने बताैलैन।

अध्यक्ष लिङ्देन संविधान संशोधन क प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीसँ कार्यकारी प्रधानमन्त्री चुनबाक व्यवस्था करबाक लेल माँग केलैन। ओ भ्रष्टाचार आ भ्रष्ट प्रवृत्ति विरुद्ध पार्टी भीतर आ बाहर राप्रपा कोनो सम्झौता नै करत से धारणा राखलैन। पार्टी भीतर अनुशासन नै मानैबला आ अवसर मात्र ताकैबला आब सचेत होबए पड़त, हुनकर कथन छल।

“राप्रपा एकटा पार्टी मात्र नै, भ्रष्टाचार विरुद्धक अभियान सेहो छियै। पार्टी मजबूत भेलापर देश समृद्ध बनत। राप्रपा भ्रष्टाचार आ भ्रष्ट व्यवस्था विरुद्ध सदैब ठाढ़ रहत”, अध्यक्ष लिङ्देन कहलैन।

राप्रपाक प्रवक्ता एवम् प्रमुख सचेतक ज्ञानेन्द्रबहादुर शाही देशक अवस्था बदलाबक लेल देशक व्यवस्था बदलब पड़त कहि आवश्यकता औंलेलैन। “हमरा सभक पुस्ताक लेल सेहो देशक अवस्था आ व्यवस्था दुनू बदलब जरूरी अइछ, एकरा लेल पार्टी सड़क आ सदनसँ अगुवाइ करत।”

पार्टीक केन्द्रीय सदस्य खुश्वु ओली हमरे पालामे देश बनत तँ राप्रपा अगिला निर्वाचनमे बहुमत आइन क सरकारक नेतृत्व करए पड़त से धारणा राखलैन। अधिवेशन केशव ओझाक अध्यक्षतामे जिला कार्यसमिति सर्वसम्मत निर्वाचित केलक अइछ।

सम्बन्धित समाचार

रास्वपा उपसभापतिमा डा. स्वर्णिम वाग्ले निर्विरोध निर्वाचित
रास्वपा उपसभापतिमा डा. स्वर्णिम वाग्ले निर्विरोध निर्वाचित
  • २०८२ भाद्र १४, २१: ३६

काठमाडौं । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) को महाधिवेशनअन्तर्गत उपसभापति पदमा डा. स्वर्णिम वाग्ले निर्विरोध निर्वाचित भएका छन्। पदाधिकारी चयनका लागि...

यस्तो छ आजका लागि विदेशी मुद्राको विनिमयदर
यस्तो छ आजका लागि विदेशी मुद्राको विनिमयदर
  • २०८२ भाद्र १४, २१: ३६

काठमाडौं : नेपाल राष्ट्र बैंकले आज (शुक्रबार) का लागि विदेशी मुद्राको विनिमयदर निर्धारण गरेको छ । राष्ट्र बैंकका अनुसार अमेरिकी...

रास्वपा केन्द्रीय सदस्यमा को–को निर्वाचित भए ?
रास्वपा केन्द्रीय सदस्यमा को–को निर्वाचित भए ?
  • २०८२ भाद्र १४, २१: ३६

काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) को पहिलाे महाधिवेशनबाट ९९ सदस्यीय नयाँ केन्द्रीय समिति चयन भएको छ । रास्वपाकाे निर्वाचन...