
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ ।
ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन केन्द्रमे भ रहल दोसर विधान महाधिवेशनमे साङ्गठनिक प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत एमाले महासचिव शङ्कर पोखरेल १०म् राष्ट्रिय महाधिवेशनक बाद ३० प्रतिशतसँ सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या वृद्धि भेल जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार, अखन छ लाख बासठ हजार नौ सओ एकसठ गोटे पार्टी सदस्य सङ्ख्या अइछ । एक लाख पचास हजार सदस्यसभ सङ्गठित होएब बाँकी रहल महासचिव पोखरेल बतौलैन । पार्टीक विभिन्न कमिटीमे चाइर लाख सत्ताइस हजार सोलह गोटे विभिन्न कमिटीमे आबद्ध छैथ । प्रतिवेदन अनुसार जिला, प्रवास, प्रदेश, सम्पर्क मञ्च, जिला कमिटी तथा महानगर, उपमहानगर, नगरपालिका, गाउँपालिका कमिटी क एक हजार सरसठ कमिटी रहल अइछ । ओहिना वाड कमिटी सात हजार सात सओ साठि आ टोल कमिटी पचपन्न हजार सात सओ छिहत्तर रहल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।
साङ्गठनिक प्रतिवेदनमे जिला तहमे नौ हजार सात सओ चौहत्तर, स्थानीय तहमे एकचालिस हजार छ सओ तेतिस, वाडमे एक लाख चौहत्तर हजार दू सओ पैंतालिस तथा टोलमे दू लाख एक हजार तीन सओ चौसठि नेता तथा कार्यकर्ता आबद्ध छैथ ।
जारी महाधिवेशनमे प्रधानमन्त्री तथा एमाले अध्यक्ष केपी शर्मा ओली राजनीतिक आ उपाध्यक्ष विष्णुप्रसाद पौडेल विधान संशोधन प्रस्ताव प्रतिवेदन पेश कएने छैथ । आइ दिनसँ सुरू भेल एमालेक विधान महाधिवेशन जारी अइछ ।
काठमाडौं : विराटनगर महानगरपालिका– १ मा रहेको परोपकार घाटमा मध्यरातमा अश्लील कार्य गर्ने चार जनालाई प्रहरीले पक्राउ गरेको छ ।...
काठमाडौं : तराई क्षेत्रमा निरन्तर तापक्रम वृद्धि भइरहेको छ । जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखाले तराई भेगका सर्वसाधारणलाई तातोबाट जोगिन र...
चितवन : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)को प्रथम महाधिवेशनअन्तर्गत आज हुने निर्वाचनमा ८० वटा विद्युतीय उपकरणबाट मतदान गरिने भएको छ ।...