व्यवस्थित बनैत साप्ताहिक हाटबजार – Naya Bikalpa
June 24, 2026, Wednesday      Epaper

व्यवस्थित बनैत साप्ताहिक हाटबजार

सिरहा : अइ ठामँक गोलबजार नगरपालिका अन्तर्गत सड़कके पेटीपर सञ्चालन होइत आएल साप्ताहिक हाटबजारकेँ व्यवस्थित करबाक सुरू कएल गेल अइछ ।

चोहर्वा नगरपालिका आ गोलबजारके हाट बजारसभकेँ दोकानक व्यवस्था, आवत-जावतक रास्ता, सरसफाइ आ पार्किङ प्रणाली सहित सुधार सुरू कएने अइछ । विगतमे सोमदिन आ वृहस्पैतदिन चोहर्वा, तथा मंगलदिन आ शैनदिन गोलबजारमे लगैबला हाटबजार सड़कक दहिना-बामा अव्यवस्थित रूपसँ पसरलासँ सवारी जाम, दुर्घटनाक जोखिम आ खरिदमे असहजता होइत छल । स्थानीय सरकारक प्रयासक बाद आब बजार व्यवस्थित बनैत जा रहल अइछ ।

स्थानीय तरकारी व्यापारी महेश्वर यादव कहैत छैथ, “पहिने हाटबजारमे सड़कके पेटीपर दोकान लगाबैत रहियै । भीडभाड एते बेसी होइत छलै जे समान राखैके तँ कि, ठाढ़ होबाक सेहो जगह नै रहैत छल । आब नगरपालिका दोकान लगेबाक निश्चित स्थान तोइक देने अइछ, जाहिसँ सबकेँ सहज भेल अइछ ।”

गोलबजार–९ क किसान जीवछ पासवानक सेहो ओहिना अनुभव अइछ । “हमरासभ किसान सालोसँ हाटबजारमे अपन उत्पादन बेचैत आइब रहल छी । पहिने निश्चित ठाम नै भेलासँ जत भेटल, ओतै दोकान लगा लैत छलाैँ । आब स्थान तोकल गेल अइछ, रास्ता खुजल अइछ, आ ग्राहककेँ सेहो सहज भेल अइछ ।” ओ कहलैन ।

बजार क्षेत्रक सरसफाइपर सेहो विशेष ध्यान देल गेल अइछ । नगरपालिकक सहकार्यमे नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, नगर प्रहरी, आ स्थानीय स्वयंसेवकसभ बजार व्यवस्थापनमे सहयोग क रहल छैथ । गोलबजार नगरपालिका आ बजार व्यवस्थापन समिति अइ अभियानकेँ दीर्घकालीन रूपसँ सञ्चालन करबाक प्रतिबद्धता जनौने अइछ । वाड नं ८ क अध्यक्ष देवनारायण महतो आ चोहर्वा बजार विकास समितिक अध्यक्ष नागेन्द्र कुमार महतो बजार सुधार अपन चुनावी एजेन्डा रहल बतबैत स्थानीयक सहयोग बिना दीर्घकालीन व्यवस्थापन असम्भव रहल से धारणा राखलैन ।

सम्बन्धित समाचार

सार्वजनिक स्थलमा अश्लील हर्कत गर्ने ४ जना पक्राउ
सार्वजनिक स्थलमा अश्लील हर्कत गर्ने ४ जना पक्राउ
  • २०८२ श्रावण २६, २१: ४२

काठमाडौं : विराटनगर महानगरपालिका– १ मा रहेको परोपकार घाटमा मध्यरातमा अश्लील कार्य गर्ने चार जनालाई प्रहरीले पक्राउ गरेको छ ।...

तराईमा तापक्रम निरन्तर बढ्दै, सतर्कता अपनाउन आग्रह
तराईमा तापक्रम निरन्तर बढ्दै, सतर्कता अपनाउन आग्रह
  • २०८२ श्रावण २६, २१: ४२

काठमाडौं : तराई क्षेत्रमा निरन्तर तापक्रम वृद्धि भइरहेको छ । जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखाले तराई भेगका सर्वसाधारणलाई तातोबाट जोगिन र...

रास्वपा महाधिवेशन : ८० विद्युतीय उपकरणबाट मतदान
रास्वपा महाधिवेशन : ८० विद्युतीय उपकरणबाट मतदान
  • २०८२ श्रावण २६, २१: ४२

चितवन : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)को प्रथम महाधिवेशनअन्तर्गत आज हुने निर्वाचनमा ८० वटा विद्युतीय उपकरणबाट मतदान गरिने भएको छ ।...