
काठमाण्डू : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली सूचना प्रविधिक उपयोगसँ सुशासन, विकास आ समृद्धिकेँ तीव्रता देब पड़त से बताैलैन अइछ ।
राष्ट्रिय युवा सङ्घ नेपालद्वारा आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय सूचना प्रविधि युवा सम्मेलन, २०२५केँ ‘भर्चुअल’ रूपसँ आइ सम्बोधन करैत नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क अध्यक्ष सेहो रहल प्रधानमन्त्री ओली ‘समृद्ध नेपाल, सुखी नेपाली’क राष्ट्रिय आकाङ्क्षा पूरा करबाक लेल सूचना प्रविधिक उपयोग अनिवार्य भेल बतौलैन। ओ अपन पहिल प्रधानमन्त्रीक कार्यकालमे समग्र देशकेँ प्रविधिमैत्री बनेबाक लेल ‘डिजिटल नेपाल’क ‘फ्रेमवर्क’ तैयार कएने छलैथ आ अखन ओकरा कार्यान्वयनक लेल काज भ रहल उल्लेख करैत हालेमे ‘आर्टिफिसियल इन्टेलिजेन्ट्स (एआई)’ सम्बन्धी नीति अनबाक बात बतौलैन।
प्रधानमन्त्री ओली कानुनमे संशोधन मार्फत नेपालेमे रइह क सूचना आ प्रविधिक क्षेत्रमे विदेशमे कम्पनी खोइलबाक व्यवस्था कएल गेल बात स्मरण करौलैन। “हमरासभकेँ देश, समाज आ समग्र मानवकेँ आओर उन्नत आ परिस्कृत बनेबाक लेल सूचना प्रविधिक उपयोग करबाक चाही । सुशासन कायम आ भ्रष्टाचार नियन्त्रणमे एकर प्रयोग करैत विकासमे व्यापकता, सामाजिक सद्भाव आ नवीनताक लेल सहयोग लेबाक आग्रह करैत छी”, ओ कहलैन, “हमरासभ वितल वर्षक ‘एसईई’मे ‘अनलाइन’ कक्षाक माध्यमसँ १४ प्रतिशतधैर नतिजामे सुधार अनबामे सफल भेलाैँ।”
प्रधानमन्त्री ओली स्वास्थ्य आ अन्य क्षेत्रमे सेहो सूचना प्रविधिक उपयोग करैत आइब रहल बात बतौलैन। “एकर दुरुपयोगसँ होएबला कमीकमजोरी आ विकृति प्रति हमरासभ सजग रहबाक चाही”, ओ कहलैन । प्रधानमन्त्री ओली सरकार प्रेस तथा अभिव्यक्तिक पक्षमे रहल स्पष्ट करैत समाजकेँ हानि पहुँचाबैबला सूचना सम्प्रेषण नै करबाक चाही, ओ बतौलैन।
काठमाडौं । भारतको नयाँ दिल्लीमा नेपाल–भारत व्यापार मञ्च सम्पन्न भएको छ। कार्यक्रममा दुवै देशका उद्योगी, व्यवसायी तथा उच्च सरकारी अधिकारीहरूले...
काठमाडौँ । टर्कीको अन्ताल्यामा आयोजित कोप–३१ जलवायु सम्मेलन जीवाश्म इन्धनको प्रयोग अन्त्य गर्ने विषयमा सदस्य राष्ट्रहरूबीच सहमति जुट्न नसक्दा निष्कर्षविहीन...
काठमाडौं : प्रधानमन्त्री बालेन्द्र शाहले आज भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीसँग भेटवार्ता गर्दैछन्। भारतको दुई दिने राजकीय भ्रमणमा रहेका प्रधानमन्त्री शाहले...