
काठमान्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष एवम् पूर्वप्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ अपन पार्टीके जोड़पर व्याख्यात्मक टिप्पणीसहित ‘एमसिसी’ पारित भेल बतौलैन अइछ ।
निर्मल लामा स्मृति प्रतिष्ठानक अध्यक्ष लीलामणि पोखरेलद्वारा लिखित ‘नेपालमे एमसिसी’ पुस्तक विमोचन करैत ओ व्याख्यात्मक टिप्पणीसहित पारित भेलाक कारण ‘एमसिसी’ नेपालके पक्षमे रहल बतौलैन।
अध्यक्ष दाहाल कहलैन, “जनताके आगा सर्वसम्मतरूपमे व्याख्यात्मक टिप्पणीसहित एमसिसी पारित भेल छै, ओ अपने आपमे राष्ट्रिय स्वाधिनताक लेल आन्दोलन करबाक द्वार बनलै, माओवादी छोइड़ क चइल गेलापर जहिनाके तहिना पास होएबला अवस्था छलै, ओहन नै हुए देलाैँ । आब ओइमे बाजैके ठाम छै ।”
माओवादी केन्द्रके नेता एवम् पुस्तकके लेखक पोखरेल अपन पार्टीद्वारा बाध्यात्मक परिस्थितिमे व्याख्यात्मक टिप्पणीसहित एमसिसी पारित कएल गेल जानकारी दैत सुरक्षा चुनौतीसहित समग्र पक्षकेँ समेट क पुस्तक तैयार कएल गेल जानकारी देलैन ।
पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे आइ आयोजित कार्यक्रममे प्रतिष्ठानके उपाध्यक्ष एवम् माओवादी केन्द्रके नेता दीनानाथ शर्मा ‘एमसिसी’के बारेमे बुझबैला पाठकके लेल पुस्तक महत्वपूर्ण होएबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।
काठमाडौं : निर्वाचन आयोगले नेपाली कांग्रेसको १५औं महाधिवेशनबाट निर्वाचित नयाँ नेतृत्व र संशोधित विधानलाई अद्यावधिक गरेको छ । निर्वाचन आयोगको...
काठमाडौं : चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ को पहिलो चार महिनासम्ममा नेपालको कुल सार्वजनिक ऋण दायित्व रु २९ खर्ब ७५ अर्ब ११...
त्रिशूली (नुवाकोट) : भोटेकोसी बाढीबाट प्रभावित विदुर नगरपालिकाका परिवारलाई घर भाडाबापतको रकम वितरण सुरु गरिएको छ । संघीय सरकारले बाढी...