
भैरहवा : इस्लाम धर्मावलम्बीक प्रवर्द्धक हजरत मोहम्मद मुस्तफा सल्लल्लाह अहैहिव सल्लमके एक हजार पाँच सओ जन्मदिन भैरहवामे भव्य रूपसँ मनाएल गेल अइछ ।
ओइ अवसरमे भैरहवाक सड़क झण्डासँ पूरा रङ्गा गेल अइछ । पैगम्बर मोहम्मदक जन्मदिन भव्य र्याली सहित विभिन्न कार्यक्रम क मनाएल गेल अइछ । इस्लाम धर्मक अन्तिम सन्देशकर्ता सेहो मानल जाएबला मोहम्मद जयन्ती आइ मुस्लिम धर्मावलम्बी विशेष रूपसँ मनबैत छैथ । अइ क्षेत्रक मस्जिद, मदरसा, मुस्लिम सङ्घसङ्गठन, धार्मिक सङ्घसंस्था तथा मुस्लिम अगुवासभक आयोजनमे मिलनचाैक बुद्धचाैकसँ निकलल र्याली नगर परिक्रमा केलक । सिद्धार्थनगर नगरपालिका भितरक दोगहरा, गल्लामण्डी, पक्लिहवा, खजहना, खजुरिया, कठौतिया, उदयपुर, गोलीगढ, भैरहवा बजार सहित चैनपुर, वसन्तपुर, बेनिपुरक मुस्लिम समुदायक सहभागिता अइछ ।
स्थानीय अब्दुल जब्बार कहलैन जे मोहम्मद मेलमिलापक सन्देश फैलेने छैन । “सब मिइल क एक होबका चाही, धर्मके नाममे भेदभाव नै करबाक चाही,सब धर्म समान अइछ से सन्देश ओ देने छैन” जब्बार बतौलैन ।
हजरत मोहम्मदके जन्म इस्लामीपंचाङ्ग हिजरी संवत्क रब्बिउल औवल महिनाकेँ १२ तारिखक दिन बाबु अब्दुल्लाह आ माए आमिनाक कोखिसँ साउदीक मक्का शहरमे भेल छल, ताहि लेल अइ दिन विश्वभैरक मुस्लिमसभ भव्यताक सङ विविध कार्यक्रम क मनाबैत छैथ । जन्मदिनक खुशियालीमे मुस्लिम समुदाय जश्ने इद मिलादुन नवि (रबिउलऔवल)क रूपमे मनबैत छैथ । मोहम्मदक जन्मदिनमे विभिन्न नाअत सरिफ प्रवचन, जीवनी वाचन करबाक तथा हुनकर उपदेश आ वाणीक स्मरण कएल जाइत अइछ ।
मोहम्मद जयन्तीक अवसरमे सरकार मुस्लिम धर्मावलम्बीसभकेँ बिदा देने छल । रूपन्देहीमे तँ सिद्धार्थनगर नगरपालिका, रोहिणी गाउँपालिका सहित मुस्लिम बाहुल्य रहल स्थानीय तहसभ सार्वजनिक बिदा देने छल ।
काठमाडौँ । उदाउँदो सूर्यलाई अर्घ अर्पण गर्दै चार दिनसम्म श्रद्धा र भक्तिपूर्वक मनाइने छठ पर्व आज सम्पन्न हुँदैछ । पर्वको...
काठमाडौं । राजधानीमा जारी तेस्रो संस्करणको नेपाल प्रिमियर लिग (एनपीएल) क्रिकेटअन्तर्गत आजको दोस्रो खेलमा पोखरा एभेन्जर्सले काठमाडौं गोर्खाजलाई २२५ रनको...
काठमाडौं : सूर्य उपासना तथा आराधनाको पर्व छठ आज देशभर श्रद्धा, भक्ति र उत्साहका साथ मनाइएको छ । छठ पर्वको...