चाइर महिनामे एक करोड़ ६० लाख राजस्व सङ्कलन – Naya Bikalpa
June 24, 2026, Wednesday      Epaper

चाइर महिनामे एक करोड़ ६० लाख राजस्व सङ्कलन

इनरुवा : सशस्त्र प्रहरी बल ४ नम्बर गण सुनसरी चालु आर्थिक वर्षक चाइर महिनामे एक करोड ६० लाख टकासँ बेसी राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।

सीमावर्ती क्षेत्रमे चोरी तस्करी नियन्त्रण अभियानअन्तर्गत जिलाक विभिन्न स्थानसँ एक करोड ६० लाख टकासँ बेसी राजस्व सङ्कलन केने सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक समेनन्द बज्राचार्य जानकारी देलैन । हुनक अनुसार बितल साओनमे ४७ लाख ३४ हजार चार सओ ६९ टका, भादबमे ६१ लाख पाँच हजार पाँच सओ दू टका, आसिनमे ३२ लाख नौ हजार पाँच सओ ३६ टका आ कातिकक हालधैर रु १९ लाख ५३ हजार छ सओ ३७ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ ।

सीमा क्षेत्रमे चोरीतस्करी नियन्त्रणके क्रममे विभिन्न किसिमक भन्सार ठगीक सामग्री पकडीÞ भन्सार कार्यालयमे पठेलासँ उक्त राजस्व सङ्कलन भेल प्रहरी उपरीक्षक बज्राचार्य बतौलैन । हुनक अनुसार सशस्त्र प्रहरी बल ४ नम्बर गण मातहत सुरक्षा पोष्ट आ बिओपीके राजस्व सङ्कलन अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
  • २०८१ कार्तिक १६, १०: ५८

नेपाल भारत धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा सदिँयौदेखि निरन्तर चल्दै आएको आपसी सम्बन्ध र धार्मिक अनुष्ठानका कार्यक्रमहरु हिन्दु धर्मावलम्बीहरुका लागि उच्च...

एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
  • २०८१ कार्तिक १६, १०: ५८

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन...

जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
  • २०८१ कार्तिक १६, १०: ५८

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच...