पुरान मुद्दा फछ्र्यौट करैत सिरहा जिला अदालत – Naya Bikalpa
June 24, 2026, Wednesday      Epaper

पुरान मुद्दा फछ्र्यौट करैत सिरहा जिला अदालत

सिरहा : सिरहा जिला अदालत आर्थिक वर्ष २०८१/८२मे कार्यसम्पादनमे उल्लेखनीय सुधार करैत कूल ६२ दशमलव २३ प्रतिशत मुद्दा फछ्र्यौट करबामे सफल भेल अइछ । अदालतद्वारा सार्वजनिक वार्षिक प्रगति विवरणअनुसार, ओइ अवधिमे जिमेवारीमे आएल आ नव दर्ता भेल कूल नौ हजार १९१ मुद्दामेसँ पाँच हजार ७२० मुद्दा फछ्र्यौट भेल अइछ, तथा तीन हजार ४७१ मुद्दा अखनो बाँकी अइछ ।

मुख्य न्यायाधीश डा. श्रीप्रकाश उप्रेतीक अनुसार, जिमेवारी सइर क आएल चाइर हजार ११२ मुद्दामेसँ तीन हजार ११० आ नव दर्ता भेल चाइर हजार ९७९ मुद्दामेसँ दू हजार ४१० फछ्र्यौट कएल गेल अइछ । हुनकर कहब अनुसार, पछिला आर्थिक वर्ष २०८०/८१मे अदालत ५० दशमलव ८६ प्रतिशत आ २०७९/८०मे ४८ दशमलव दू प्रतिशत मुद्दा फछ्र्यौट कएल गेल छल ।

“वर्षोसँ पुरान मुद्दा फछ्र्यौट करबामे सफल भेलाक बाद कार्यप्रगतिमे स्पष्ट सुधार देखल गेल अइछ,” न्यायाधीश उप्रेती कहलैन, “काठमाण्डूक बाद कार्यप्रगतिमे दोसर कमजोर स्थानपर रहल सिरहा अदालतके अवस्था आब उल्लेखनीय रूपसँ सुधार भेल अइछ ।”

ओइ सुधारक पाछाँ अदालतक कर्मचारीसभक लगनशीलता, जिला बारके निरन्तर सहयोग, स्वचालित पेसी प्रणाली, फरक मुद्दा व्यवस्थापन, अभिलेख मिसिल ‘स्क्यानिङ’ आ समूहगत कार्यशैली प्रमुख कारण रहल ओ बतौलैन।

जरिवाना आ भवन सम्बन्धी समस्या ओहिना

प्रगति विवरणअनुसार, बितल साल अदालत १७ करोड़ ८३ हजार टका जरिवाना फैसला सुनौने छल, जइमेसँ एक करोड़ १९ लाख ३८ हजार टका मात्रे फछ्र्यौट भेल अइछ । अखनो १५ करोड़ ८१ लाख टकासँ बेसी जरिवाना असुल करब बाँकी अइछ ।

ओहिना, अदालतक वर्तमान भवन सकेत आ मुख्य सड़कके कातमे रहलाक कारण सेवा प्रवाहमे विभिन्न कठिनाइ भ रहल मुख्य न्यायाधीश उप्रेती बतौलैन। सवारी पार्किङक अभाव, हो-हल्ला आ कार्यसम्पादनक लेल आवश्यक स्थानक कमी अदालत सञ्चालनमे बाधक बनल छै, सर्वोच्च अदालत नव भवनक लेल बजेट दै लेल तैयार भेलाक बादो उपयुक्त जमीन नै भेलासँ काज आगाँ नै बइढ़ सकल अइछ,” ओ कहलैन, “हमरासभ लगभग सात सालसँ कृषि ज्ञान केन्द्रक जमीन अदालतके लेल प्राप्त करबाक प्रयासमे छी, मुदा फाइल मुख्यमन्त्री कार्यालयमे अटकल छै ।” ओ सदरमुकाम क्षेत्रमे नव भवन निर्माणक लेल आवश्यक जमीन व्यवस्थापन करए लेल स्थानीय सरकार आ सरोकारवालासभसँ पहल क देबाक लेल आग्रह केलैन ।

सम्बन्धित समाचार

६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
  • २०८२ श्रावण २६, २१: ४४

नेपाल भारत धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा सदिँयौदेखि निरन्तर चल्दै आएको आपसी सम्बन्ध र धार्मिक अनुष्ठानका कार्यक्रमहरु हिन्दु धर्मावलम्बीहरुका लागि उच्च...

एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
  • २०८२ श्रावण २६, २१: ४४

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन...

जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
  • २०८२ श्रावण २६, २१: ४४

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच...