
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ ।
ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन केन्द्रमे भ रहल दोसर विधान महाधिवेशनमे साङ्गठनिक प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत एमाले महासचिव शङ्कर पोखरेल १०म् राष्ट्रिय महाधिवेशनक बाद ३० प्रतिशतसँ सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या वृद्धि भेल जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार, अखन छ लाख बासठ हजार नौ सओ एकसठ गोटे पार्टी सदस्य सङ्ख्या अइछ । एक लाख पचास हजार सदस्यसभ सङ्गठित होएब बाँकी रहल महासचिव पोखरेल बतौलैन । पार्टीक विभिन्न कमिटीमे चाइर लाख सत्ताइस हजार सोलह गोटे विभिन्न कमिटीमे आबद्ध छैथ । प्रतिवेदन अनुसार जिला, प्रवास, प्रदेश, सम्पर्क मञ्च, जिला कमिटी तथा महानगर, उपमहानगर, नगरपालिका, गाउँपालिका कमिटी क एक हजार सरसठ कमिटी रहल अइछ । ओहिना वाड कमिटी सात हजार सात सओ साठि आ टोल कमिटी पचपन्न हजार सात सओ छिहत्तर रहल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।
साङ्गठनिक प्रतिवेदनमे जिला तहमे नौ हजार सात सओ चौहत्तर, स्थानीय तहमे एकचालिस हजार छ सओ तेतिस, वाडमे एक लाख चौहत्तर हजार दू सओ पैंतालिस तथा टोलमे दू लाख एक हजार तीन सओ चौसठि नेता तथा कार्यकर्ता आबद्ध छैथ ।
जारी महाधिवेशनमे प्रधानमन्त्री तथा एमाले अध्यक्ष केपी शर्मा ओली राजनीतिक आ उपाध्यक्ष विष्णुप्रसाद पौडेल विधान संशोधन प्रस्ताव प्रतिवेदन पेश कएने छैथ । आइ दिनसँ सुरू भेल एमालेक विधान महाधिवेशन जारी अइछ ।
धनुषा : मिथिला बिहारी नगरपालिकाका–१ का वडा अध्यक्ष विन्देश्वर यादवको गोली प्रहार गरी हत्या गरिएको छ । आज साँझ अपरिचित...
काठमाडौं : नेपाली सेनाले पाँच जना नेपाल प्रहरीका सकल दर्जालाइ उद्धार गरी थप उपचारका लागि सुर्खेतस्थित कर्णाली प्रदेश अस्पतालमा पुर्याएको...
काठमाडौं । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) भित्र सभापति रवि लामिछानेका प्रियपात्रमध्ये एक थिए सन्तोष परियार । तर, रविलाई नै थाहा...