नेपाल संवत् प्रवर्द्धन करबाक लेल कूटनीतिक नियोगकेँ आग्रह – Naya Bikalpa
June 24, 2026, Wednesday      Epaper

नेपाल संवत् प्रवर्द्धन करबाक लेल कूटनीतिक नियोगकेँ आग्रह

काठमाण्डू : नेपाल संवत् ११४५ मूल समारोह समिति नेपाल संवत् मौलिकता एवं महत्वकेँ अन्तर्राष्ट्रिय स्तरमे प्रसार करबाक लेल कूटनीतिक नियोगकेँ आह्वान केलक अइछ । प्रत्येक वर्ष कातिक शुक्ल प्रतिपदाक दिनसँ शुरु होबएबला नेपाल संवत्के प्रचारप्रसारलगायतक काज करबाक लेल समिति विदेशस्थित नियोगकेँ आग्रह केलक अइछ ।

समितिक अध्यक्ष राजेन्द्र श्रेष्ठ राष्ट्रिय विभूति शङ्खधर साख्वाःद्वारा ९३७ सालमे गरिब जनताक ऋणमोचन क प्रचलनमे आनल गेल नेपाल संवतके मौलिकता एवं महत्वके बचेबाक लेल राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय स्तरमे प्रवर्द्धन करबाक लेल सबटा नियोगकेँ अनुरोध कएल गेल जानकारी देलैन ।

नेवार समुदाय देशभैर विविध कार्यक्रम क नयाँ वर्षक रूपमे मनाबैत आएल नेपाल संवत् नेपालेसँ शुरु भेल अइछ। तँए व्यापक रूपमे विस्तार करबाक लेल ओ जोड़ देलैन ।

समिति इएह कातिक १७ गते वसन्तपुरमे आयोजन होबएबला मूल समारोहमे सहभागी हेबाक लेल मातहतके सम्बन्धित सङ्घसंस्थासभकेँ अपनादिससँ परम्परागत बाजा, झाँकी आ सांस्कृतिक पहिरनसहित सहभागी हेबाक निर्देशन देलक अइछ । ओ समारोहकेँ प्रधानमन्त्री सम्बोधन करताह ।

विसं २०५६ मे तत्कालीन प्रधानमन्त्री कृष्णप्रसाद भट्टराई नेतृत्वक सरकार साख्वाःकेँ राष्ट्रिय विभूति घोषणा केने रहए तँ २०६५ सालमे प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ नेतृत्वक सरकार नेपाल संवतकेँ राष्ट्रिय स्तरमे मान्य हेबाक घोषणा केने छल ।

समितिद्वारा अन्तक्र्रिया, गोष्ठी, शुभकामना आदानप्रदानलगायत काज कएल गेल अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
  • २०८१ कार्तिक १५, १०: ४९

नेपाल भारत धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा सदिँयौदेखि निरन्तर चल्दै आएको आपसी सम्बन्ध र धार्मिक अनुष्ठानका कार्यक्रमहरु हिन्दु धर्मावलम्बीहरुका लागि उच्च...

एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
  • २०८१ कार्तिक १५, १०: ४९

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन...

जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
  • २०८१ कार्तिक १५, १०: ४९

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच...