
जनकपुरधाम : लम्बा समयसँ पाइन नै परलाक बाद मधेश प्रदेश सुख्खाग्रस्त क्षेत्र भेलासँ कृषियोग्य जमीनमे सिंचाइ तथा पियैबला पाइनके संकट उत्पन्न भेलापर प्रदेश सरकार डिपबोरिङ जड़ान करबाक योजना सुरू कएने अइछ। प्रदेशक ऊर्जा, सिंचाइ तथा खानेपानी मन्त्रालयक नेतृत्वमे मधेश प्रदेशक प्रत्येक वाडमे एकटाके दरसँ डिपबोरिङ जड़ान करबाक योजना आनल गेल अइछ।
ऊर्जा, सिंचाइ तथा खानेपानी मन्त्री शेषनारायण यादव आवश्यकता तथा प्राथमिकताक आधारपर धीरे-धीरे डिपबोरिङ जड़ान क पाइनक समस्या समाधान करबाक लेल प्रदेश सरकार योजना बना क कार्यान्वयन सुरू कएने अइछ, से जानकारी देलैन। अखन प्रदेशक शहरी तथा ग्रामीण क्षेत्रमे पियैबला पाइनक समस्या विकराल बनैत गेल अइछ, तेँ सिंचाइसँ बेसी पियैबला पाइनकेँ प्राथमिकता देल गेल अइछ, से हुनकर कहब अइछ।
मधेश प्रदेश सरकारक सीमित स्रोतसाधनक बादो आवश्यकता अनुसार प्राथमिकता निर्धारण क डिपबोरिङ जड़ान आगाँ बढ़ाएल गेल अइछ, मन्त्री यादव बतौलैन। पियैबला पाइन तथा सिंचाइक समस्यासँ ग्रसित जनता ओहि मन्त्रालय समक्ष विभिन्न वाड तथा टोलमे पियैबला पाइनके समस्या रहल कहैत बोरिङ जड़ानक माँग कएने मन्त्रालय जनौने अइछ।
सुख्खाक चपेटमे पड़ल मधेशकेँ प्रदेश सरकार सुख्खाक्षेत्र घोषणा क चुकल अइछ, जखन कि संघीय सरकार सेहो तीन महिना लेल ‘संकटग्रस्त क्षेत्र’ घोषणा क चुकल अइछ। संगहि, प्रदेश सरकार पियैबला पाइनक अभाव भेल क्षेत्रमे ट्याङ्कर तथा दमकलसँ निःशुल्क रूपमे पाइन वितरण क रहल अइछ।
अइ बीच मधेश प्रदेश सरकारक डिपबोरिङ जड़ान करबाक योजना अनुसार धनुषाक मिथिलाविहारी नगरपालिका–२ स्थित परशुराम तलाव क्षेत्रमे पहिल चरणके जड़ान सुरू भेल मन्त्री यादव जानकारी देलैन। मन्त्रालय अन्तर्गत भूमिगत सिंचाइ कार्यालय जलेश्वर, भूमिगत सिंचाइ कार्यालय लहान, भूमिगत सिंचाइ कार्यालय कर्मैया (सर्लाही), तथा भूमिगत सिंचाइ कार्यालय वीरगञ्ज मार्फत डिपबोरिङ निर्माण कएल जाएत, से ओ उल्लेख केलैन। हुनक कहब अनुसार, ओ कार्यालयसभ मधेश प्रदेशक आठ जिलामेसँ दू-दू टा जिलामे डिपबोरिङ जड़ान तथा निर्माण करैत आएल अइछ।
संघीय सरकारक मातहतमे रहल कमला सिंचाइ व्यवस्थापन कार्यालय पोर्ताहा पछिला आर्थिक वर्षसँ सिंचाइक सङे डिपबोरिङ जड़ान सुरू कएने अइछ, से कार्यालयक प्रमुख वीरेन्द्र यादव जानकारी देलैन। धनुषा तथा सिरहा कार्यक्षेत्र रहल ओइ कार्यालयसँ जड़ान कएल गेल डिपबोरिङसँ किछु हदधैर सिंचाइ तथा पियैबला पाइनके समस्या समाधान भेल, से हुनक कहब अइछ।
मुलुक लोकतन्त्र र संविधानको संरक्षण र सम्बर्धन गर्नुपर्ने गम्भीर मोडमा उभिएको अवस्थामा नेपाली कांग्रेस भित्र झांगिदै गएको गुटगत तिक्तता, विशेष...
काठमाडौं : सुनसरीको कप्तानगञ्जमा भएको दुःखद् घटनालाई लिएर आमरण अनसनमा बसेका राष्ट्रिय एकता दलका अध्यक्ष विनय यादवको मागप्रति नेपाली कांग्रेसको...
काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसको आधिकारिकता विवादमा पूर्वसभापति शेर वहादुर देउवाले दायर मुद्धामा सर्वोच्च अदालतले पुनरवलोकन गर्ने निर्णय गरेसंगै कांग्रेसको राजनीति...