
गण्डकी : परराष्ट्रमन्त्री डा. आरजु राणा देउवा बताैलैन जे पोखरा साहसिक पर्यटनक हबक रूपमे विकसित भेल अइछ। पोखराक लेकसाइटमे अंशुभरा ग्रुपद्वारा सञ्चालनमे आनल गेल बगैँचा रिसोर्ट स्पार्क आइ शुभारम्भ कार्यक्रममे ओ पोखरा अपना-आपमे प्राकृतिक रूपसँ सुन्दर शहरक रूपमे स्थापित भ चुकल बताैलैन ।
हम अपन बाल्यकालमे पोखरा आएल छलाैँ से स्मरण करैत मन्त्री देउवा कहलैन “ओइ समयमे एतके सुन्दरतासँ मन लोभित भ गेल छलै। पाछू किछु समयसँ जलवायु परिवर्तनक असरसभ क्षेत्रमे पइड़ रहल छै । उत्तर आ दक्षिण दिसक पड़ोसी देशसभमे बाइढ़क प्रभाव बइढ़ रहल समाचार सुइन रहल छी, तँए अपनोसभकेँ सतर्क रहबाक चाही ।”
“रिसोर्ट मार्फत स्वदेशमे किछु करबाक चाही से सन्देश सेहो देबाक प्रयास कएल गेल अइछ। विदेशमे कएल गेल मेहनतसँ केवल पैसा मात्र आर्जन होइत छै, मुदा एत कएल गेल मेहनतसँ स्वदेशमे योगदान तथा इज्जत सेहो प्राप्त होइत छै,” मन्त्री देउवा कहलैन।
अंशुभरा ग्रुपक अध्यक्ष एवम् गण्डकी प्रदेशक सामाजिक विकास मन्त्री विन्दु कुमार थापा कहलैन जे पर्यटन, उद्यमशीलता आ रोजगारीक क्षेत्रमे नवीनतम सोचक सङ आगाँ बइढ़ रहल छी। अंशुभरा ग्रुपक प्रबन्ध निर्देशक सौगात थापा कहलैन जे स्वदेशमे किछु करबाक चाही से सोचक सङ बगैँचा रिसोर्ट स्पा सञ्चालनमे आनल गेल अइछ।
मुलुक लोकतन्त्र र संविधानको संरक्षण र सम्बर्धन गर्नुपर्ने गम्भीर मोडमा उभिएको अवस्थामा नेपाली कांग्रेस भित्र झांगिदै गएको गुटगत तिक्तता, विशेष...
काठमाडौं : सुनसरीको कप्तानगञ्जमा भएको दुःखद् घटनालाई लिएर आमरण अनसनमा बसेका राष्ट्रिय एकता दलका अध्यक्ष विनय यादवको मागप्रति नेपाली कांग्रेसको...
काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसको आधिकारिकता विवादमा पूर्वसभापति शेर वहादुर देउवाले दायर मुद्धामा सर्वोच्च अदालतले पुनरवलोकन गर्ने निर्णय गरेसंगै कांग्रेसको राजनीति...