
काठमाण्डू : प्रतिनिधिसभा सङ्घीय निजामती सेवाक गठन, सञ्चालन आ सेवाक शर्त सम्बन्धमे व्यवस्था करबाक लेल बनल विधेयक, २०८० अइ भादब १९ गते पारित करबाक कार्यतालिका तय कएने अइछ।
सभामुख देवराज घिमिरे विभिन्न राजनीतिक दलक प्रमुख सचेतकसभसँ आइ सिंहदरबारमे कएल गेल बातचितक बाद निजामती विधेयक राष्ट्रियसभासँ आएल अवस्थामे अइ भादब १९ गते प्रतिनिधिसभासँ पारित करबाक सम्भावित कार्यसूची तय कएल गेल अइछ। प्रशासनिक सङ्घीयता कार्यान्वयनक सम्बन्धमे महत्त्वपूर्ण मानल गेल निजामती विधेयककेँ पारित करब अइ अधिवेशनके काज महत्त्वपूर्ण काज छी।
संसदक अगिला १५ दिनक क्यालेन्डर तय कएल गेल जानकारी सभामुख घिमिरेक सञ्चार विज्ञ शेखर अधिकारी देलैन। भादबक दोसर पाक्षिक कार्यतालिका अनुसार भादब १८, १९, २५, २६ आ २७ गते प्रतिनिधिसभाक बैसार बैसत।
तहिना, भादब २६ गते विद्यालय शिक्षा विधेयककेँ पारित करबाक सम्भावित क्यालेन्डर सेहो तय भेल अइछ। शुक्रदिन बैसैबला संसद बैसार भूमिसम्बन्धी विधेयक पारित क राष्ट्रिय सभामे पठओत। भादब १८ गते होएबला बैसारमे नागरिकतासम्बन्धी विधेयक पारित करबाक कार्यतालिका अइछ। राष्ट्रपति कार्यालयसँ घुरल संवैधानिक परिषद्सम्बन्धी विधेयकपर बातचित क पारित करबाक सम्भावित कार्यसूची सेहो तय भेल ओ बतौलैन।
मुलुक लोकतन्त्र र संविधानको संरक्षण र सम्बर्धन गर्नुपर्ने गम्भीर मोडमा उभिएको अवस्थामा नेपाली कांग्रेस भित्र झांगिदै गएको गुटगत तिक्तता, विशेष...
काठमाडौं : सुनसरीको कप्तानगञ्जमा भएको दुःखद् घटनालाई लिएर आमरण अनसनमा बसेका राष्ट्रिय एकता दलका अध्यक्ष विनय यादवको मागप्रति नेपाली कांग्रेसको...
काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसको आधिकारिकता विवादमा पूर्वसभापति शेर वहादुर देउवाले दायर मुद्धामा सर्वोच्च अदालतले पुनरवलोकन गर्ने निर्णय गरेसंगै कांग्रेसको राजनीति...