एसिसी पुरुष क्रिकेटः नेपालद्वारा सिङ्गापुर पराजित – Naya Bikalpa
August 10, 2026, Monday      Epaper

एसिसी पुरुष क्रिकेटः नेपालद्वारा सिङ्गापुर पराजित

काठमाण्डू : एसिसी पुरुष यु–१६ पूर्वी क्षेत्रीय क्रिकेट प्रतियोगितामे नेपाल सिङ्गापुरकेँ पराजित करैत सुखद सुरूआत कएलक अइछ। मलेसियाक युकेएम ओभल क्रिकेट मैदानमे सम्पन्न खेलमे नेपाल सिङ्गापुरपर छ विकेटसँ जीत हासिल कएलक अइछ।

एक सओ उनचालीस रनके लक्ष्यकेँ पछुवाबैत नेपाल ३३.३ ओभरमे चाइर विकेटमे लक्ष्य पूरा कएलक। नेपालक ओपनर प्रसिद्ध जैसी सबसँ बेसी ५५ रन बनेलक। ओ ९७ बलमे पाँच टा चौका माइर क ५५ रन जोडलैन। रौनक श्रीवास्तव ४० रनके योगदान देलैन।

सिङ्गापुरक दिससँ आकाश तेजा तीन विकेट आ युभान पाण्डे एक विकेट लेलेक।

ताहिसँ पहिने टस जीतकए पहिने ब्याटिंग करबाक निर्णय लेल सिङ्गापुर ३६.१ ओभरमे सबटा विकेट गुमाकए एक सओ अठतीस रनके योगफल बनौलक। सिङ्गापुरक कप्तान रियन नायक सबसँ बेसी ५३ रन बनौलैन। ओपनर आहान भुधानभाम ३८ रन आ रोशन अरुन ११ रन जोड़लैन।

नेपालक कप्तान विपिन शर्मा चाइर विकेट सचिन भट्ट तीन विकेट, शुभम खनाल आ अभय यादव एक–एक विकेट लेलक।

एहि जीतसँ नेपाल दू अंक प्राप्त कएलक अइछ। आब नेपाल अपन दोसर खेल इएह अखार १० गते जापानक विरुद्ध खेलत।

एसियाली क्रिकेट परिषद् (एसिसी)क वार्षिक कार्यतालिकाअनुसार संचालन भेल एहि प्रतियोगितामे कुल १० टा टोलिक सहभागिता छै। नेपाल समूह ‘ए’मे छै जाहिमे सिङ्गापुर, इण्डोनेसिया, भुटान आ जापान सेहो छैथ। समूह ‘बी’मे आयोजक मलेसिया, हङकङ, माल्दिभ्स, थाइल्याण्ड आ म्यानमार अइछ।

सम्बन्धित समाचार

पोखरा विमानस्थल भ्रष्टाचार : पूर्वमन्त्री कार्कीलाई १५ लाख धरौटीमा छाड्न आदेश
पोखरा विमानस्थल भ्रष्टाचार : पूर्वमन्त्री कार्कीलाई १५ लाख धरौटीमा छाड्न आदेश
  • २०८२ असार ८, २१: ०४

काठमाडौं : विशेष अदालतले नेपाली कांग्रेसका नेता तथा पूर्वमन्त्री ज्ञानेन्द्रबहादुर कार्कीलाई पोखरा क्षेत्रीय अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल निर्माणसँग सम्बन्धित भ्रष्टाचार मुद्दामा १५ लाख...

ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
  • २०८२ असार ८, २१: ०४

ललितपुर : नेपाली कांग्रेसले खाना पकाउने ग्यासको अभाव, विद्युत् खपतमा कर वृद्धि, रासायनिक मलको संकट, बजारमा बढ्दो महँगी तथा सरकारको...

४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
  • २०८२ असार ८, २१: ०४

काठमाडौं : नेपाल क्रिकेट संघ (क्यान)ले नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीको एकदिवसीय (ओडिआई) कप्तान परिवर्तन गर्दै स्पिनर सन्दीप लामिछानेलाई नयाँ कप्तान...