‘भिजिट भिसा’ प्रकरण सम्बन्धमे छानबिन समिति गठन, प्रतिपक्षी दू दलके असहमति – Naya Bikalpa
August 10, 2026, Monday      Epaper

‘भिजिट भिसा’ प्रकरण सम्बन्धमे छानबिन समिति गठन, प्रतिपक्षी दू दलके असहमति

काठमाण्डू : सरकार अध्यागमन आ ‘भिजिट भिसा’ प्रकरण सम्बन्धमे पूर्वमुख्य सचिव शङ्करदास वैरागीके अध्यक्षतामे उच्चस्तरीय अध्ययन तथा छानबिन समिति गठन कएलक अइछ ।

प्रतिनिधिसभाक आजुक  बैसारके सुरूमे सभामुखसङ समय मांग क सांसदसभ समसामयिक विषयके जिज्ञासाकेँ जवाफ दैत गृहमन्त्री रमेश लेखक ओइ समितिक सदस्यमे ६ मन्त्रालयक सहसचिव रहल जानकारी देलक अइछ ।

समितिके सदस्यमे सहसचिवसभ तीर्थराज चिलवाल (अर्थ), अरुणा जोशी (कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिला), रामकृष्ण लामिछाने (संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन), मणिरत्न कोइराला (परराष्ट्र) प्रदीप कोइराला (श्रम, रोजागार तथा सामाजिक सुरक्षा) आ गृह मन्त्रालयक सहसचिव आनन्द काफ्ले अइछ ।

व्यवस्थापन आ भिजिट भिसा सम्बन्धमे विगतसँ देखल समस्या समाधान करए लेल नीतिगत, कानुन आ संरचनात्मक सुधारके लेल ठोस पहल करबाक प्रतिबद्धता बमोजिम समिति गठन कएल गेल मन्त्री लेखक जानकारी देलैन अइछ । ई विषयमे प्रतिपक्ष आ सत्तापक्ष बीच सहमति भेल छल ।

प्रतिपक्षी दू दलके असहमति

सरकार गठन कएने उच्चस्तरीय अध्ययन तथा खोजबिन समितिमे प्रतिपक्षी दू दल असहमति जनेलक गेल अइछ । गृहमन्त्री लेखकके बाद धारणा राखैत राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)क’ सांसद् डा स्वर्णिम वाग्ले पूर्वमुख्य सचिव शङ्करदास वैरागीके अध्यक्षतामे गठित ओइ समितिकेँ हमरासभ अस्वीकार करैत छी कहलैन।

ओ भिजिट भिसा प्रकरणमे खोजबिन करैलेल बहालवाला वा पूर्वन्यायाधीशके नेतृत्वमे संसदीय खोजबिन समिति गठन आवश्यक भेल बतौलैन ।

राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके सांसद ज्ञानबहादुर शाही भिजिट भिसा प्रकरणके सन्दर्भमे विगत १८ वर्षमे नियुक्त भेल १४ गोटे गृहमन्त्री उपर खोजबिनके मांग कएलैन । “एखन गठित समितिमे हमर असहमति छै, ई समिति न्याय नै क सकत, ई राजनीतिक आ सत्तास्वार्थसँ उपर छियै, एहि प्रकरणमे कियो दोषी भेल तबो कारबाही करए पड़त”, ओ कहलैन ।

बैसारमे अपन धारणाक बाद दूनु दल बैसार बहिस्कार कएलक अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

पोखरा विमानस्थल भ्रष्टाचार : पूर्वमन्त्री कार्कीलाई १५ लाख धरौटीमा छाड्न आदेश
पोखरा विमानस्थल भ्रष्टाचार : पूर्वमन्त्री कार्कीलाई १५ लाख धरौटीमा छाड्न आदेश
  • २०८२ असार १०, २१: २६

काठमाडौं : विशेष अदालतले नेपाली कांग्रेसका नेता तथा पूर्वमन्त्री ज्ञानेन्द्रबहादुर कार्कीलाई पोखरा क्षेत्रीय अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल निर्माणसँग सम्बन्धित भ्रष्टाचार मुद्दामा १५ लाख...

ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
  • २०८२ असार १०, २१: २६

ललितपुर : नेपाली कांग्रेसले खाना पकाउने ग्यासको अभाव, विद्युत् खपतमा कर वृद्धि, रासायनिक मलको संकट, बजारमा बढ्दो महँगी तथा सरकारको...

४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
  • २०८२ असार १०, २१: २६

काठमाडौं : नेपाल क्रिकेट संघ (क्यान)ले नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीको एकदिवसीय (ओडिआई) कप्तान परिवर्तन गर्दै स्पिनर सन्दीप लामिछानेलाई नयाँ कप्तान...