स्वास्थ्य स्वयंसेविकाकेँ साइकल वितरण – Naya Bikalpa
August 10, 2026, Monday      Epaper

स्वास्थ्य स्वयंसेविकाकेँ साइकल वितरण

सिरहा : सिरहाके गोलबजार नगरपालिका–१० वाड कार्यालय स्थानीयस्तरमे स्वास्थ्य सेवा प्रवाहमे सहयोग करैत आएल स्वास्थ्य स्वयंसेविकाकेँ साइकल वितरण कएलक अइछ ।

वाड कार्यालयक आयोजनमे आयोजित कार्यक्रममे पाँच स्वास्थ्य स्वयंसेविकाकेँ एक एक टा साइकल प्रदान कएल गेल अइछ । जिला समन्वय समितिक उपसभापति दिलीप लामा महिला स्वास्थ्य स्वयंसेविकाके योगदानक प्रशंसा करैत वाड कार्यालय कएल पहल अनुकरणीय रहल बतौलैन ।

“स्वास्थ्य क्षेत्रमे स्वयंसेविकाके भूमिका महत्वपूर्ण होइत छै”, ओ कहलैथ, “एहन कार्य अन्य वाडके लेल प्रेरणादायी बनत ।”

गोलबजार–१० वाडध्यक्ष उपेन्द्र कुमार मुखिया साइकल वितरणके उद्देश्यबारे कहलैथ, “स्वयंसेविका घरअंगनामे पहुँच क सेवा दिय पडैत छै । हुनकासभ दुरदुरधैर पैदल चलए लेल बाध्य रहए। आब साइकल भेलासँ हुनकासभके काज सहज आ प्रभावकारी होबाक विश्वास अइछ ।”

साइकल वितरण स्वयंसभमे कामप्रति आओर बेसी उत्प्रेरित होबाक लेल सहयोग पहुँचल महिला स्वास्थ्य स्वयंसेविकासभ बतौलैन । स्वास्थ्य स्वयंसेविका निमा लामा कहलैने, “हमरासभकेँ घरअंगनामे सेवा दिय पडैत छै । बहुत दुर जाए पडैत छै हमरासभकेँ, समय सेहो बेसी लागैत रहए। आब साइकलके कारण हमरासभ सहज रूपमे समुदायमे जाए सकब।”

दोसर स्वयंसेविका पुजन थापा कहलैथ, “वाडके ई सहयोग अपन कामप्रति सम्मान महसूस करेलक । अइसँ हमरासभकेँ आओर जिमेवार आ प्रेरित बनाएल गेल अइछ ।”

सम्बन्धित समाचार

पोखरा विमानस्थल भ्रष्टाचार : पूर्वमन्त्री कार्कीलाई १५ लाख धरौटीमा छाड्न आदेश
पोखरा विमानस्थल भ्रष्टाचार : पूर्वमन्त्री कार्कीलाई १५ लाख धरौटीमा छाड्न आदेश
  • २०८२ असार १३, २१: १०

काठमाडौं : विशेष अदालतले नेपाली कांग्रेसका नेता तथा पूर्वमन्त्री ज्ञानेन्द्रबहादुर कार्कीलाई पोखरा क्षेत्रीय अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल निर्माणसँग सम्बन्धित भ्रष्टाचार मुद्दामा १५ लाख...

ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
  • २०८२ असार १३, २१: १०

ललितपुर : नेपाली कांग्रेसले खाना पकाउने ग्यासको अभाव, विद्युत् खपतमा कर वृद्धि, रासायनिक मलको संकट, बजारमा बढ्दो महँगी तथा सरकारको...

४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
  • २०८२ असार १३, २१: १०

काठमाडौं : नेपाल क्रिकेट संघ (क्यान)ले नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीको एकदिवसीय (ओडिआई) कप्तान परिवर्तन गर्दै स्पिनर सन्दीप लामिछानेलाई नयाँ कप्तान...