चोभार गल्छीक ऐतिहासिक चट्टान नै हटाएल जाएत – Naya Bikalpa
August 10, 2026, Monday      Epaper

चोभार गल्छीक ऐतिहासिक चट्टान नै हटाएल जाएत

काठमाण्डू : शहरी विकास मन्त्रालय काठमाण्डूके चोभार गल्छीमे अवस्थित ऐतिहासिक चट्टानसभ नै हटाएल जेबाक स्पष्ट कएलक गेल अइछ । आइ जारी कएने विज्ञप्तिमे मन्त्रालय निकास विन्दुक रूपमे रहल गल्छीमे चट्टान नै हटाएल जाएत, मुदा ओत जमा गंदाके व्यवस्थापन करबाक उल्लेख कएलक अइछ।

मन्त्रालयक अनुसार लगातार वर्षाक समयमे चोभार गल्छी आ अगलबगल क क्षेत्र डुबानसँ प्रभावित होइत छै, ताहिसँ बचबाक लेल ओत फोहोर व्यवस्थापन कएल जा रहल अइछ ।

मन्त्रालयक प्रवक्ता नारायणप्रसाद मैनाली कहलैन, “ऐतिहासिक चट्टान हटेबाक कोनो योजना नै छै । अनावश्यक रूपसँ भ्रम फैलाएल गेलै, जे उचित नै अइछ ।”

ओ कहलैन, “गल्छी क्षेत्रमे पहिनेसँ बही क आएल फोहोर हटाएब, भुस्खलनके सम्भावित क्षेत्रके चिन्हित क रोकथाम करब, आ दीर्घकालीन समाधानक लेल प्राविधिक अध्ययन सहित कार्ययोजना बनाएब – ई सबटा हमर मुख्य उद्देश्य छी । चोभार गल्छीके चौड़ा करब वा प्राकृतिक रूपसँ रहल चट्टानकेँ हटाब से कोनो योजना नै छै ।”

मैनालीक अनुसार, चोभार गल्छी उपत्यकाक मुख्य जल निकासके बिन्दु छी, जे शहरके विभिन्न खोला नालासभके पाइन जमा होइत अइछ । वर्षाक समयमे जँ निकासमे बाधा हएत, तँ शहरके कतेको हिस्सा डुबानमे पड़बाक खतरा बइढ़ जाइत अइछ ।

ओ कहलैन जे शहरी विकास मन्त्रालयक उद्देश्य स्पष्ट अइछ – चोभार गल्छीके धार्मिक, सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक महत्व राखैत ओकर मौलिक स्वरूपके संरक्षित करैत डुबान न्यूनीकरण लेल फोहोर व्यवस्थापन कएल जाएत । विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “प्राकृतिक सम्पदासभके संरक्षण करैत मानव सुरक्षामे जोड़ देब – इएह नीति अनुरूप चोभार क्षेत्रमे काज आगू बढ़ाएल जाएत ।”

वितल अखार १४ गते विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण कार्यकारी समितिक ३२म् बैसारमे चोभार गल्छीमे सम्भावित डुबान न्यूनीकरणक लेल नेपाली सेनाक समन्वयमे आवश्यक कदम उठेबाक निर्देशन देल गेल छल । तकर बादसँ सामाजिक सञ्जाल आ राजनीतिक वृत्तमे विभिन्न प्रकारक धारणा सार्वजनिक भेल छल, जाहिपर मन्त्रालय असन्तुष्टि व्यक्त कएलक ।

एहि स्पष्टिकरणसँ विवादक समाधान होएबाक मन्त्रालयक अपेक्षा अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
ग्यास, विद्युत्, मल र महँगी : सरकारको कार्यशैलीमाथि कांग्रेसको प्रश्नै प्रश्न
  • २०८२ असार १९, २१: २२

ललितपुर : नेपाली कांग्रेसले खाना पकाउने ग्यासको अभाव, विद्युत् खपतमा कर वृद्धि, रासायनिक मलको संकट, बजारमा बढ्दो महँगी तथा सरकारको...

४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
४ वर्षपछि कप्तानको जिम्मेवारीमा फर्किए सन्दीप
  • २०८२ असार १९, २१: २२

काठमाडौं : नेपाल क्रिकेट संघ (क्यान)ले नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीको एकदिवसीय (ओडिआई) कप्तान परिवर्तन गर्दै स्पिनर सन्दीप लामिछानेलाई नयाँ कप्तान...

कांग्रेसलाई एकताबद्ध बनाउन ट्रेड युनियनकर्मीहरुद्वारा आग्रह
कांग्रेसलाई एकताबद्ध बनाउन ट्रेड युनियनकर्मीहरुद्वारा आग्रह
  • २०८२ असार १९, २१: २२

मुलुक लोकतन्त्र र संविधानको संरक्षण र सम्बर्धन गर्नुपर्ने गम्भीर मोडमा उभिएको अवस्थामा नेपाली कांग्रेस भित्र झांगिदै गएको गुटगत तिक्तता, विशेष...