
काठमाण्डू : चलचित्र विकास बोर्ड अपन ३३ प्रकारके सेवा अनलाइन माध्यमसँ प्रदान कएलक अइछ । बोर्ड स्थापना भेल २५ वर्ष पूरा भेल उपलक्ष्यमे घोषणा अनुसार चलचित्र दर्ता, जाँच सिफारिस, घर इजाजत, चलचित्र महोत्सव आयोजना स्वीकृतिसहित ३३ प्रकारक सेवाक लेल आब कार्यालय जेबाक बाध्यता अन्त भेल अइछ ।
एहि सङे बोर्ड ‘बक्सअफिस २ सिनेपा’ नामक ‘एप’ सञ्चालनमे अनने अइछ । एहि किसिमके नयाँ व्यवस्थासङे कार्यालय जेबाक अवस्था अन्त भेल आ चलचित्रके व्यापारकेँ पारदर्शी बनौने अध्यक्ष दिनेश डिसी बतौलैन ।
“हमरासभ नेपालभैरके एक सओ ६६ चलचित्र भवनकेँ बक्सअफिस एपमे जोड़ने छी । अइसँ व्यापारकेँ पारदर्शी बनाएत आ निर्माता, वितरक एवम् प्रदर्शकबीचके सम्बन्धकेँ अगिला दिनमे हार्दिकता आ मित्रवत् बनाएत । आब चलचित्र भवनमे टिकट बिक्री भेल लगले से जानकारी निर्माताकेँ प्राप्त हएत । सामान्य सेवासभ अनलाइनेके माध्यमसँ ल सकैत छियै”, अध्यक्ष डिसी कहलैन ।
पदभार ग्रहणेसँ योजनाबद्ध रुपमे सुरू कएल गेल काज लगभग अन्त्यदिस पहुँचल उल्लेख करैत ओ सूचना आ प्रविधिके विकास एवम् विस्तारसङे चलचित्र क्षेत्रमे रहल समस्या समाधानक लेल योजनाबद्ध ढङ्गसँ समयसापेक्ष रुपमे काज करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलैन । बोर्ड अगिला आर्थिक वर्षसँ क्षमता अभिवृद्धि, सिपमूलक कार्यमे चलचित्रसङ जोड़ल सङ्घ संस्थाके सहकार्यमे काज करबाक योजना रहल सेहो अध्यक्ष डिसी बतौलैन ।
ललितपुर : नेपाली कांग्रेसले खाना पकाउने ग्यासको अभाव, विद्युत् खपतमा कर वृद्धि, रासायनिक मलको संकट, बजारमा बढ्दो महँगी तथा सरकारको...
काठमाडौं : नेपाल क्रिकेट संघ (क्यान)ले नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीको एकदिवसीय (ओडिआई) कप्तान परिवर्तन गर्दै स्पिनर सन्दीप लामिछानेलाई नयाँ कप्तान...
मुलुक लोकतन्त्र र संविधानको संरक्षण र सम्बर्धन गर्नुपर्ने गम्भीर मोडमा उभिएको अवस्थामा नेपाली कांग्रेस भित्र झांगिदै गएको गुटगत तिक्तता, विशेष...