
ललितपुर : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली ग्वार्कोमे नवनिर्मित ‘फ्लाईओभर’ ग्वार्को आ ओहिसँ सटल क्षेत्रसभमे भ रहल सवारी जामक समस्या समाधान करबाक बतौलैन अइछ।
भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयद्वारा आयोजित कार्यक्रममे नवनिर्मित फ्लाईओभरक उद्घाटन करैत प्रधानमन्त्री कहलैन, “सरकार बहुआयामिक आ चहुदिस रूपमे विकास आगू बढ़ा रहल अइछ, तें एहि प्रयासमे सभक सहयोग अपेक्षित अइछ।”
काठमाण्डू चक्रपथक कलंकी–कोटेश्वर खण्डमे निर्मित ग्वार्को फ्लाईओभरके निर्माण भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयक अगुवाईमे कएल गेल अइछ। इञ्जिनियरिङ प्रोक्युरमेन्ट कन्स्ट्रक्सन (ईपीसी) ढाँचामे १७ करोड़ ६ लाख ८८ हजार टका खर्चमे आशिष समानान्तर रेलिगेर जेभीद्वारा बनाएल गेल ई फ्लाईओभर नेपालक पहिल फ्लाईओभर छी।
एहि फ्लाईओभरमे कुल पाँच सओ मिटर ‘अप्रोच’ सड़क आ ३५ मिटर स्पानक चाइर लेनक पुल निर्माण कएल गेल अइछ। ग्वार्को चोकमे ट्राफिक जाम दूर करबाक उद्देश्यसँ २०७८ सालमे एकर निर्माण कार्य आरम्भ भेल छल।
प्रधानमन्त्री कहलैन, “हमसभ विकासके मार्गपर लगातार आगू बइढ़ रहल छी। काल्हि दैलेखमे नेपालमे ५० वर्ष चलबाक मिथेन ग्यास भेटल अइछ। तीन गोटे कूवामेसँ एकटासँ मात्र बेशी मात्रामे ग्यास पैदा होइत अइछ। हम ओहि ठाम उत्खननक सुरूआत कएलाैँ। धौवादी लोहा कारखानाक सञ्चालनसँ नेपालमे लोहाक उत्पादन सुरू होएत, जाहिसँ देशक अर्थतन्त्र मजबूत होएत।”
प्रधानमन्त्री आगू कहलैन, “विदेश जाएबला टका देशेमे रहतै। आर्थिक लाभ होएत आ रोजगार सृजन होएत। आन खनिजके उत्खनन आ कृषिक आधुनिकीकरण सेहो कएल जाएत। नवका उद्योग स्थापना, सामाजिक आ प्रशासनिक सुधारक माध्यमसँ देश आगू बढ़त।”
ओ कहलैन जे सुनकोशी–मरिन डाइभर्सन आयोजना आ हुलाकी राजमार्ग तराईक स्वरूप बदैल देत आ मेची–महाकालीधैर कायाकल्प होएत। मदन भण्डारी राजमार्ग, पुष्पलाल मध्यपहाड़़ी राजमार्ग आ आन परियोजनासभ सेहो तीव्र गतिमे आगू बइढ़ रहल अइछ।
नेपाल भारत धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा सदिँयौदेखि निरन्तर चल्दै आएको आपसी सम्बन्ध र धार्मिक अनुष्ठानका कार्यक्रमहरु हिन्दु धर्मावलम्बीहरुका लागि उच्च...
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन...
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच...